
गोर लागैत छी!
"𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪𑒲 मैथिली Maithili" - अपन लोकनि सँ, अपन लोकनि लेल, अपन भाषामे। 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪𑒲 मैथिली Maithili मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृति केर एक समर्पित डिजिटल मंच "मैथिली.org.in" एक एहन प्रयास छी जे मैथिली भाषा, साहित्य, संस्कृति आ सभ्यता केँ डिजिटल माध्यम सँ विश्वभरि लोक धरि पहुँचाबय लेल समर्पित अछि। एहि वेबसाइट पर अहाँ केँ भेटत शुद्ध मैथिली मे लिखल लेख, लोकगीत, साहित्यिक रचना, पौराणिक ज्ञान, समाजिक चेतना सँ भरल आलेख आ संगहि संग मैथिली भाषा केर संवर्धन आ प्रचार-प्रसार लेल उपयोगी संसाधन। एहि मंच केर उद्देश्य अछि मैथिली केँ केवल संवादक माध्यम नहि, अपितु एक जीवनदृष्टि रूपे स्थापित करब। मैथिली लिपि (तिरहुता), व्याकरण, लोककला, परंपरा आ समसामयिक मुद्दा सभ पर आधारित सामग्री सँ ई वेबसाईट मैथिल समाज केँ जागरूक, संगठित आ गर्वित बनेबाक दिशा मे काज कऽ रहल अछि।